Mithila Roti Bank

Mithila Roti Bank A group of people working towards providing daily food to destitute people, with dignity by taking donation of Roti, Sabzi, chana, bread packs, gur, etc.

29/04/2017

कोई भी इंसान बिना किसी कठिनाई के जीतता है तो वह केवल एक जीत है पर अगर कोई इंसान बहुत सी कठिनाइयों के बाद जीतता है तो वह इतिहास है.

11/04/2017
मिथिलावाद के तरफ मिथिलावासी ऐतिहासिक रूप से अग्रसर भ चुकल अछि। सहयोग आ समर्थन लेल Mithila Welfare Society अपने सब के अभि...
23/03/2017

मिथिलावाद के तरफ मिथिलावासी ऐतिहासिक रूप से अग्रसर भ चुकल अछि। सहयोग आ समर्थन लेल Mithila Welfare Society अपने सब के अभिनन्दन करैत अछि। जय मिथिला जय जानकी।

14/01/2017

*॥ॐ॥ सुख, शांन्ति एवं समृध्दि की मंगलकामनाओं के साथ आपको सपरिवार लोहड़ी एवं मकर संक्रान्ति की हार्दिक शुभकामनाएं ॥ॐll*

Global Hunger Index यानि विश्व भूख सूचकांक विवरण सँ देशक छवि पाताल लोक पहुँच गेल। विश्व केर 118 विकासशील देशक रिपोट में ...
14/10/2016

Global Hunger Index यानि विश्व भूख सूचकांक विवरण सँ देशक छवि पाताल लोक पहुँच गेल। विश्व केर 118 विकासशील देशक रिपोट में अपन देशक स्थान 97 रहल माने नीचा सँ एकैशम स्थान। देशक मोटामोटी 38% नेना भुटका केर भरि पेट भोजन नहि भेटैत अछि। विज्ञापन सभ में भारत चाहे बेमिसाल आ अति सुन्नर देश होय मुदा तथ्यात्मक दृष्टि में भारत एखनहुँ 19 कारोड़ भुक्खड़क देश थिक आओर यएह सत्य थिकैक। आन देशक फोटू देखिकय हम सभ द्रवित भ जाएत छी सीरिया रवांडा, नाइजीरिया आ आरो बहुते रास देश जतय भुखमरी चरम पर थिक मुदा अपनहि देशक स्थिति पर किनको ध्यान नहि छनि? अफसोच सँग शरम आ दुखक बात अछि जे विश्व भूख सूचकांक में हमर देशक स्थिति #रवांडा आ #नाइजीरिया सँ सेहो गेल गुजरल अछि।
प्रगतिक चाहे हम जतेक ढोल पिट लीS मुदा हमरा सबहक स्थति #नेपाल आ #बंगलादेश सँ सेहो गेल गुजरल अछि। #फिजी आ #मंगोलिया सनक देशक स्थिति हमरा सभ सँ बहुत सुन्दर अछि। आँखि में कोनो चमक नहि सटकल पेट पचकल गाल, आँखि मात्र रोटिक के सिबा आरो कोनो चीज के नहि चिन्हैत छैक आ एकरे भूख कहैत छैक। विश्व भूख सूचकांक भारतीय राजनितिक लाजक हृदयविदारक दस्ताबेज थिक। रिपोटक मोताबिक भारतक सभ तेसर नेना भुटका कुपोष्णक शिकार अछि, 38.7% नेना पूरा भोजन नहि कय पबैत अछि आ भारतक कुल आवादीक 15% तँ भखले सुतैत अछि। आ एहन सच्चाई सँ हमर सरकार आँखि नुकौने रहैत छथि।
आब जखन अंतर राष्ट्रीय नीति खाद्य संस्थान ( ISPRI ) रिपोट उजागर कएलक तखन हमरा सबहक विकासक पहियाक सत्यबोध भेल। विसवास नहि हएत मुदा सत्य में दुनिया में सभसँ बेसी भुक्खड़ भारत देश में थिक। फ्राँस आ इटलिक पूरा जनसँख्या जतेक छैक ओतेक लोक भारत में भुखले सुतैत अछि। नित्य भुखले सुतय बाला लोकक संख्या 19 करोड़ थिक। यूरोपीय देश आ अमेरिका के छोड़िए दीय, एशिया में सेहो हमर स्थति बहुत खराप अछि। बूझि नहि अहि देशक नीति निर्माता लोक 19 करोड़ लोक के भुखले छोड़ि प्रगतिक गुड्डी कोना उड़ा लैत छथि? चाइनाक स्थिति हमरा सँ 68 स्थान ऊपर 29 सम स्थान पर थिकैक। हं एक बात सँ हम अपन करेजा ठंडा आ मोन शांत कय सकैत छी जे #पाकिस्तानक स्थिति हमरो सँ बेसी खराप थिकैक।
दुनियाक कुल जनसँख्याक दू तिहाई सँ बेसी लोक भारत में भुखले सुतय पर विवश छैक। देश सुपर पावर बनबाक सपना देखि रहल अछि मुदा सबाल ई जे 19 करोड़ भुक्खल लोक सँ भरल देश सुपर पावरक विषय में सोचियो कोना सकैछ? सुनय में आयल अछि जे राफेल अएलाक बाद भारतीय वायु सेना चीन सँ बेसी शक्तिशाली भ जाएत, बुलेट ट्रेनक गति सँग देश हवा सँ बात करत, आधार कार्ड बनिते सभटा दुःख दरद छू मंतर भ जाएत? जँ ई सत्य थिकैक तखन कियो कहि सकै छी जे 19 करोड़ भुक्खल लोक कोन देशक थिक। जकर पेट भुक्खल छैक, जकर शरीर पर वस्त्र नहि, जकर मोन दुखी होय जकरा कोनो काज नहि बस तन पर लँगोट बान्हि देश सँ मात्र रोटिक बाट जोहि रहल अछि।
विश्व भूख सूचकांक भारतीय राजनीतिक दुर्दशाक पोल खोलिकय राखि देल अछि। आखिरकार 70 वरखक लोकतंत्रक उत्कर्ष पर हमरा सभहक इतराए हेतु टटका में #सर्जिकल_स्ट्राइक, #गोबरक_फेस_पैक आ #मौसक_कुड़िया अछि। अतेक बड़का जनसँख्याक उपेक्षा कय केहन देश बना रहल छथि? सरकार रिपोट सँ जखन लज्जित नहि छथि तखन सोचब आ समाधान करब तँ दुरक बात भेल? कियो तथ्य नहि राखि रहल छथि जे ई कोन इंडिया थिक जतय लाखो किसान गरदनि में डोरी लगाकय, आगि लगाकय, पोखरि इनार में कूदिकय कालक गाल में समा जाएत अछि? केहन ई देश अछि जतय नेना सभ स्कूली बस्तरक स्थान पर कन्हा पर बोरी लS काज पर निकलि जाएत अछि? ई कोन देश अछि जकर युवाक हड्डी धरि बेरोजगारी चूसि लैत अछि?
प्रधानमंत्री जी स्वयं घोषणा कएलाह जे हमरा भूख सँ गरीबी सँ अशिक्षा आ अव्यवस्था सँ लड़बाक अछि की हम सत्त में अहि बाट पर आगू बढ़ि रहल छी? भाषण में ओना बड्ड नीक लागैत छैक मुदा सत्य ई की हम भूख सँ नहि लड़ि रहल छी? सबाल वर्तमान सरकारक या वर्तमान प्रधानमंत्रीक नहि थिक सबाल एक वा दोसर राजनितिक विचारधाराक नहि थिक? सबाल ई अछि जखन 2030 में वैश्विक स्तर पर पूरा दुनिया भूख मुक्त होमय पर उत्सव मनबैत होयत तखन हम कतय ठाड़ रहब? ध्यान राखब भोजन फेक या बरबाद करब सँ पहिने जे पड़ोस में लाखक लाख नेना भूखल पेट होयत?
#अभियान_भूख_मुक्त_भारत
जय मिथिला जय मैथिल जय भारत जय माँ जानकी
Copied: Rambabu Singh
Rohit Yadav Baiju Bawra

01/05/2016

भले रहु यौ दिल्ली मुम्बई चाहे रहु विदेश बरु
हम मैथिल छी मिथिला संतति एहि बातक अभिमान करु।
माँ सीता केर एहि धरती पर जन्मक ई सौभाग्य भेटल
राम आ शंकर बनला पाहुन नर नारिक सब पाप मेटल
धरती पर जे अति पवित्र अछि ओहि माटिक गुणगान करु
हम मैथिल छी मिथिला संतति एहि बातक अभिमान करु।
नीक ऐ सीखु दोसरो भाषा आंग्ल वा जर्मन जापानी
सबसँ पहिने अप्पन भाषा मायक बोल कहल नानी
सबसँ मिठगर भाषा मैथिली ओकर नै अपमान करु
हम मैथिल छी मिथिला संतति एहि बातक अभिमान करु।
धोती छोड़ल पाग के तोड़ल माटि सँ ने संबंध तोरु
नेना भुटका जानय मिथिला एहि बातक प्रबंध करु
अपन सभ्यता अपन जे संस्कृति मन सँ यौ सम्मान करु
हम मैथिल छी मिथिला संतति एहि बातक अभिमान करु।
कतय भेटत तिलकोरक तरुआ छल्हिगर दही और मखान
कतय भेटत ई गीत नाद सब परिछन डहकन आ मुख पान
जतय हो मैथिल ओतहि हो मिथिला बात सतत ई आम करु
हम मैथिल छी मिथिला संतति एहि बातक अभिमान करु।

29/03/2016

"अखिल भारतीय मिथिला पार्टी", के विस्तार सम्पूर्ण देश में जल्द होयत एखन पार्टी दू राज्य (बिहार ओ दिल्ली) में अप्पन संगठन के मजगूत क रहल ऐछि। दुन्नु राज्य (बिहार {ख़ास क मिथिला} आ दिल्ली) के सब जिला में जे मैथिल अपन गाम, पंचायत, ब्लाक और जिला में संगठन स जुड़य चाहैत छी या कुनु और राज्य में जुड़य चाहैत छी अहि मोबाइल नंबर 09891511522 पर कॉल क के संपर्क करी या whatsapp नंबर 09891511522 पर मेसेज करी या कमेन्ट बॉक्स में अपन नंबर दी।।
जय मिथिला।। जय जय मिथिला।।।
अखिल भारतीय मिथिला पार्टी।।

24/03/2016
11/03/2016

नोर नहिं रोकि सकब जेखन एहेन करुण स्वर कान में पड़त ..

यौ मामा ! नै जाऊ यौ मामा , यौ मामा नै जाऊ ना ...
आहाँ चलि जेबै त' भात नहिं बनतै ...
माए फेर कहियो भात नहिं बनतै ..!
यौ मामा ,, रुकि जाऊ ने यौ ... !!

माम केर पएर सँ लिपटि क' ओ बच्चा नोर भरल आँखि सँ देखैत ई गप अपन मामा के कहि रहल अछि जेकरा नसीब म' सदिखन बसिया मांगल चांगल भोजन नसीब होएत अछि आ जेखन कोनो पाहुन घर अबै छथिन तखनहिं टा किछु तेहेन खाए लेल भेटैत अछि जाहि लेल ओ लालायित रहैत अछि ।

एखनो एहेन समुदाय अछि जेकरा दू साँझ ठीक सँ पेट नहिं भरैत अछि । कि कोनो एहेन संस्था अछि जे एहि लेल आगू आबथि ? जँ छि त' देखियौ कोशी केर पेट में बसल बहुतो एहेन गाम आ समाज, परवार के जे आजुक आधुनिकता सँ एकदम अनभिज्ञ छथि । अछि किनको में एहेन दम ? कि खाली जय मिथिला आ जय मैथिल टा ? हे एम्हरो एक बेर तकियौ जे आए तक T•V• आ रेडियो तक ठीक सँ नहिं जनैत अछि । एकरा सब लेल एखनहुँ आदिमानवे सन समय छै । विश्वास नहिं हएत मुदा ई सच अछि ।

हम त' भगवान सँ कहैत छियनि जे हे भगवान हमरा एतेक शक्ति दिय' जे हम एहेन लोक भाई - बहिन सब लेल किछु नीक क' सकी ... भाड़ में जाए पाग दोपटा .. कि हएत एहेन सम्मानन ल' क' ? .... घरक लोक भूखल आ हम जाए सम्मान लए लेल ... धुर ..!

चलु २० फ़रवरी क समस्तीपुर!!
17/02/2016

चलु २० फ़रवरी क समस्तीपुर!!

Address

Badarpur
Delhi
110044

Telephone

8510064187

Website

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Mithila Roti Bank posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Share